अर्चना भार्गव (जन्म: १९५५) युनाइटेड बैङ्क अफ इन्डियाक अध्यक्ष आ प्रबन्ध निर्देशक रहि चुकल अछि। ओ २३ अप्रैल २०१३ कऽ ई कार्यभार ग्रहण केनए छल[१][२]आ २० फरवरी २०१४ मे ओ एहि पदसँ इस्तीफा दऽ देनए छल।[३]

शिक्षा आ करियर सम्पादन करी

भार्गव मिरान्डा हाउस, दिल्ली विश्वविद्यालयसँ स्नातकोत्तरमे स्वर्ण पदक प्राप्त केनए छल। ओ प्रारम्भिक विद्यालय शिक्षा जिसस एन्ड मेरी कन्वेन्ट, नयाँ दिल्लीसँ केनए छल। ओ राष्ट्रिय विज्ञान प्रतिभा छात्रवृत्ति धारक सेहो रहल अछि। ओ सन् १९७७ मे पञ्जाब नेसनल बैङ्कमे प्रबन्धन प्रशिक्षक रूपमे कार्यभार ग्रहण केनए छल। पञ्जाब नेसनल बैङ्कमे ३४ सालक अनुकरणीय करियरक पश्चात वृहद करपोरेट क्रेडिट, प्राथमिकता प्राप्त क्षेत्र, योजना एवम् विकास, वित्तीय समावेश जका मुख्य क्षेत्रसभमे कार्य करैत हुनकर अप्रैल, २०११ मे केनरा बैङ्कक कार्यपालक निर्देशकके रूपमे पदोन्नति भेल छल। कार्यपालक निर्देशकक रूपमे श्रीमती भार्गव विभिन्न नीतिगत विभागसभ जेना अन्तर्राष्ट्रिय बैङ्किङ्ग, वृहद करपोरेट क्रेडिट, प्राथमिकता प्राप्त क्षेत्र, जोखिम प्रबन्धन, निरीक्षण एवम् लेखा परीक्षा, सामान्य प्रशासन, वित्तीय प्रबन्धन, केनरा बैङ्कक सभ अनुषङ्गिय आ अन्य विभागसभमे कार्य निष्पादन केनए छल। ओ विदेशमे सेहो कार्य केनए छल आ युरोप, अफ्रिका, अमेरिका आ मध्यपूर्व आ सूदुर पूर्व एसिया जका बहुत रास महाद्वीपक व्यापक रूपमे यात्रा केनए छल। ओ केनरा बैङ्कक कारोबारक ग्रेट ब्रिटेन सहित युरोपक बहुत रास देशसभ आ अफ्रिका महादेशमे बहुत बढेलक।[४]हुनका उत्कृष्ट कार्य निष्पादनक लेल विभिन्न सरकारी एजेन्सीसभ तथा मान्यता प्राप्त एजेन्सीभसँ विभिन्न पुरस्कारसभसँ सेहो सम्मानित कएल गेल छल। समावेशी विकासक बढाव देबऽ कऽ हेतु ओ निरन्तर प्रयत्नशील अछि।[५]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. बिजनेस स्टेंडर्ड (वेब समाचार पत्र), 25 अप्रैल 2013, शीर्षक: अर्चना भार्गव यूनाइटेड बैंक ऑफ इंडिया की सीएमडी नियुक्त
  2. आज तक, 12 नवम्बर 2013, समाचार शीर्षक: एसबीआइ ही नहीं अन्य कंपनियों में भी है महिलाओं का दबदबा
  3. आजतक, समाचार, दिनांक:21.02.2014, शीर्षक:यूनाइटेड बैंक ऑफ इंडिया की सीएमडी अर्चना भार्गव का इस्तीफा
  4. बी बी सी (हिन्दी),9 अक्टूबर 2013, समाचार शीर्षक: ये हैं भारत की पांच सही लक्ष्मियां
  5. "यूनाइटेड बैंक ऑफ इंडिया की वेबसाईट में अर्चना भार्गव का परिचय"मूलसँ 2014-08-28 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-03-08 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)