अर्घाखाँचीके नामकरण जनमानसके अनुसार ई बुझल जाइ छै, जे अर्घ शब्द अर्घ नामसँ बनल अछि जखन देवी एहि जिलाके अर्घ नामक स्थान पर भगवती मंदिरमे दहीके रूपमे बाहर निकलल छलीह | खाँची शब्दक उत्पत्ति ई अछि जे सरकार कर वसूलीक स्थान वा खजांची नामक व्यक्तिसँ एकरा भ्रष्ट कएल गेल अछि | एहि तरहें ई जिलाक नाम अर्घाखाँची बनल |

अर्घाखाँची

नेपालक एकीकरणसँ पहिने अर्घ आ खाँची दूटा राज्य जे उपराज्य छल, एहि क्षेत्रमे अवस्थित छल आ एकीकरणक क्रममे ओ दुनू राज्यकेँ तत्कालीन पाल्पा राज्यमे विलय भऽ गेल छल । विलय के बाद अर्घ आ खाँची के मिला क अर्घाखांचीके नाम राखल गेल | 2018 तक ई जिला गुल्मी जिलाके अंतर्गत रहए, मुदा नेपाल के 75 जिलामे बाँटल गेलाक बाद एकर स्थापना अलग जिला के रूप मे भेल ।