डॉ अमरेश पाठक 1936-2019

हिनक जन्म सीतामढ़ी जिलाक अन्तर्गत सामरि ग्राममे १९३६ मे भेलन्हि । १९५७ मे पटना विश्वविद्यालयसँ मैथिलीक एम. ए. परीक्षामे प्रथम श्रेणीमे प्रथमस्थान पाओल । १९५७ सँ १९६० धरि रामकृष्ण महाविद्यालय, मधुबनीमे व्याख्याता रूपेँ तकरा बाद पटना विश्वविद्यालयमे व्याख्याता रूपमे कार्य करए लगलाह । पटना विश्वविद्यालयमे मैथिली विभागाध्यक्ष रूपेँ मैथिली उपन्यासक आलोचनात्मक अध्ययन, शोध प्रबन्ध पर हिनका बिहार विश्व-विद्यालय द्वारा डि. लिट्क उपाधि भेटलन्हि । ई शोध प्रबन्ध पुस्तकाकार रूपेँ सेहो प्रकाशित भेल अछि | बिहार राष्ट्रभाषा परिषदक विद्यापति ग्रन्थावलीक सम्पादक मण्डलक सदस्य । हिनक अन्य प्रकाशित रचना अछि ’निबन्ध संकलन’ । एकरा छोड़ि विभित्र पत्न-पत्निकामे हिनक कतेको निबन्ध प्रकाशित छन्हि । मैथिली अकादमी द्वारा प्रकाशित कथा-संग्रहक इहो एक सम्पादक छथि । ई अधिकतर उच्च स्तरीय आलोचनात्मक निबन्ध लिखैत छलाह। २०००- डॉ. अमरेश पाठक, (तमस- भीष्म साहनी, हिन्दी)लेल साहित्य अकादेमी मैथिली अनुवाद पुरस्कार भेटल छनि। प्रो० पाठकक समस्त अध्यापकीय जीवन सक्रिय रहल। अध्ययन, अध्यापन,ओ शोधक अतिरिक्त निम्नलिखित साहित्यिक ओ सांस्कृतिक संस्थासँ सम्बद्ध भए मैथिली भाषा साहित्यक उत्थान हेतु सतत् प्रयासरत रहलाह ।

अध्यापनक अतिरिक्त हिनक अन्य शैक्षणिक एवं प्रशासकीय कार्य निम्नलिखित अछि सम्पादन करी

  1. डीन मानविकी संकाय, पटना विश्वविद्यालय- दू वर्ष
  2. सदस्य, विद्वत् परिषद्-पटना विश्वविद्यालय
  3. सदस्य, सिनेट, पटना विश्वविद्यालय
  4. सदस्य, परीक्ष समिति- पटना विश्वविद्यालय
  5. सदस्य, मैथिली विकास कोष- पटना विश्वविद्यालय
  6. राज्य सरकारक अनुशंसा पर कुलाधिपति द्वारा गठित मगध विश्वविद्यालयक हेतु अन्तीनीकरण समितिक सदस्य
  7. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगामे पी-एच०डी० शोध कार्यक अनियमितताक जाँचक हेतु गठित उच्च स्तरीय जाँच कमिटीक
  8. संघ लोक सेवा आयोग दिल्ली द्वारा गठित मैथिली विषयक पाठ्य क्रम निर्धारण समितिक सदस्य ।
  9. विभिन्न विश्वविद्यालयक मैथिली पाठ्य-क्रम, परिशोधन, परीक्षण समितिक सदस्य ।
  10. विश्वविद्यालय अनुदान आयोगक विभिन्न क्रिया-कलापर्स लगभग पचीस वर्षसे सम्बद्ध ।
  11. सदस्य, रिसर्च बोर्ड, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा।

सांस्कृतिक संस्थासँ सम्बद्ध सम्पादन करी

  1. चेतना समिति पटनाक आजीवन सदस्य एवं संगठन सचिव ( 1969 स 1973)
  2. चेतना समिति पटना द्वारा गठित मातृभाषा रक्षा समिति (1978ई०) एवं मैथिली संघर्ष समिति (1992 ई०) क संयोजक ।
  3. चेतना समिति पटना द्वारा विद्यापति स्मृति समारोहक अवसर पर आयोजित विचार गोष्ठीमे अनेको बेर आलेख पाठ ।
  4. मैथिली अकादमी पटना द्वारा आयोजित अनेक भाषणमालामे व्याख्यान
  5. साहित्य अकादेमी, नई दिल्लीक मैथिली परामर्श दात्री समितिक सदस्य (1988 सँ 1992 धरि) ।
  6. साहित्य अकादेमी, नई दिल्ली द्वारा आयोजित अनेक राष्ट्रीय संगोष्ठीमे आलेख पाठ एवं मुख्य अतिथि, पर्यवेक्षक आदिक रूपमे सहभागिता ।
  7. बिहार राष्ट्र भाषा परिषद्, पटना द्वारा प्रकाशित विद्यापति पदावली भाग-3 क सम्पादक मंडलक सदस्य
  8. के० पी० जयसवाल रिसर्च इन्स्टीच्यूट पटना सँ सम्बद्ध ।
  9. आकाशवाणी दरभंगा एवं पटनासँ अनेक वार्ता प्रसारित । पहिल बेर डॉ० कुमार गंगानन्द सिंह ओ प्रो० हरिमोहन झाक संग हिनक वार्ता भेल छल ।
  10. वैदेही, दरभंगा द्वारा आयोजित अखिल भारतीय मैथिली लेखक संघमे आलोचना विभागक अध्यक्षीय भाषण ।
  11. बिहार राज्य पाठ्य-पुस्तक प्रकाशन निगमक लगभग डेढ़ दर्जन पोथीक सम्पादन, भाषा परिष्कार, समीक्षण एवं अनुवाद ।
  12. अध्यक्ष, मैथिली साहित्य परिषद्, पटना विश्वविद्यालय ।
  13. सदस्य, बिहार रिसर्च सोसाइटी, पटना ।

मौलिक ग्रन्थ सम्पादन करी

  1. मैथिली उपन्यासक आलोचनात्मक अध्ययन- आलोक प्रकाशन, पटना ।
  2. निबन्ध संकलन- आलोक प्रकाशन, पटना
  3. नवीन निबन्ध संकलन
  4. रमानाथ झा (विनिबन्ध)- सा० अ०, दिल्ली
  5. मैथिली लिट्रेचर इन बिहार- दी कम्प्रिहेंसिभ हिष्ट्ी ऑफ बिहार- सं०- डॉ० के०के० दत्त, के०पी० जयसवाल रिसर्च इन्स्टीच्यूट पटना- 1976

अनूदित पुस्तक सम्पादन करी

  1. 'तमस'-साहित्य अकादेमी, दिल्लीस पुरस्कृत

स्वतन्त्र सम्पादन सम्पादन करी

  1. मैथिली कथा संग्रह- अजय प्रकाशन, पटना
  2. आधुनिक मैथिली काव्यधारा- संजय प्रकाशन, पटना
  3. साहित्य ओ प्रतिबद्धता चेतना समिति, पटना
  4. मैथिली संघर्ष ( पत्रिका)- मैथिली आन्दोलनक अवसर पर, पटना सँ प्रकाशित ।
  5. स्मारिका- चेतना समिति, पटना

सह-सम्पादन सम्पादन करी

  1. विद्यापति पदावली भाग-3- राष्ट्रभाषा परिषद्, पटना
  2. रमानाथ झा अभिनन्दन ग्रन्थ- दरभंगा
  3. मैथिली कथा संग्रह- मैथिली अकादमी, पटना
  4. बिहार इन्टरमीडिएट मैथिली गद्य-पद्य संग्रह, मै० अ०, पटना ।
  5. मैथिली गद्यक विकास-पटना वि०वि०, पटना
  6. मुख्य सम्पादक- सव्यसाची- डॉ० रामदेव झा, 'अभिनन्दन ग्रन्थ', दरभंगा

बिहार राज्य पाठ्य-पुस्तक प्रकाशन निगम पटना द्वारा प्रकाशित निम्नलिखित पोथीक सम्पादन, समीक्षण, भाषा परिष्कार एवं अनुवाद कार्य सम्पादन करी

सम्पादन सम्पादन करी

  1. मैथिली भारती भाग-6
  2. प्राचीन भारती भाग (सप्तम वर्ग हेतु) -6
  3. मैथिली भारती भाग-7
  4. मैथिली भारती भाग-8

समीक्षण सम्पादन करी

  1. मैथिली गद्य मालिका- नवम एवं दशम वर्ग हेतु
  2. मैथिली पद्य मालिका- नवम एवं दशम वर्ग हेतु
  3. मैथिली भाषा सरिता भाग-4
  4. मैथिली भाषा सरिता भाग-5
  5. मैथिली भाषा सरिता- भाग-6

भाषा परिष्कार सम्पादन करी

  1. नागरिक शास्त्र भाग-1 (वर्ग 6क हेतु)
  2. भारतक इतिहास भाग-1 (वर्ग 6क हेतु)
  3. पृथ्वी परिचय-भाग-5 (खण्ड-प्रथम) नवम् एवं दशम् वर्ग लेल ।
  4. जीव विज्ञान-भाग-2 (वर्ग 7 हेतु)
  5. प्रारम्भिक विज्ञान-भाग-2 (चारिम वर्गक हेतु)

अनुवाद सम्पादन करी

  1. प्रारम्भिक अर्थशास्त्र-नवम् एवं दशम् वर्ग हेतु

भूमिका लेखन सम्पादन करी

  1. आधुनिक मैथिली काव्य धारा- संजय प्रकाशन, पटना
  2. मैथिली कथा संग्रह- अजय प्रकाशन, पटना
  3. साहित्य ओ प्रतिबद्धता-चेतना समिति, पटना
  4. कथा पुष्प- सं० डॉ० देवेन्द्र झा
  5. लह-लह लाल सिनुरी- रचयिता- पद्मश्री बिलट पासवान 'विहंगम विभिन्न पत्र-पत्रिका एवं पुस्तकमे प्रकाशित

यथा संभव उपलब्ध निबन्धक सूची सम्पादन करी

  1. प्राचीन भारतीय साहित्यक कथा परम्परा एवं मैथिली साहित्यमे उपन्यासक आविर्भाव- मिथिला भारती-1970
  2. मैथिली उपन्यासमे शैलीतत्त्व- मैथिली अनुसंधान पत्रिका, इलाहाबाद- 19
  3. चरित्र-चित्रण ओ मैथिली उपन्यास-स्मारिका, चेतना समिति, पटना-19
  4. विद्यापतिक काव्य सौष्ठव एवं वैष्णव भक्ति आन्दोलनमे हिनक योगदान-स्मारिका, चेतना समिति, पटना-1972
  5. गद्यकार रमानाथझा- रमानाथझा अभिनन्दन ग्रन्थ, दरभंगा
  6. मैथिली उपन्यास साहित्य-मैथिली साहित्यक रूप रेखा-चेतना-समिति, पटना
  7. स्व० रमानाथझाक मैथिली सेवाक विभिन्न आयाम स्मारिका, चेतना समिति, पटना-1979
  8. मैथिली निबन्ध साहित्य- पटना वि०वि० पत्रिका, 1979 (9) साहित्य एवं प्रतिबद्धता- चेतना समिति, पटना- 1979 (संगोष्ठी)
  9. मैथिली कथा साहित्य- पत्राचार संस्थान, पटना वि०वि०- 1980
  10. मैथिली नव कविता ओ सम्प्रेषणक समस्या- चेतना समिति (संगोष्ठी) -1980
  11. मैथिलीक मान्यता- जागरणक प्रयोजन- चेतना समिति, पटना (स्मारिका)1980
  12. मैथिली उपन्यासमे आंचलिकता- मैथिली अकादमी पत्रिका, पटना-1981
  13. मिथिलाक सांस्कृतिक परम्परा- मैथिली गद्य-पद्य संग्रह-मै० अ०, पटना
  14. मैथिली उपन्यासकमे राजनीतिक चेतना मै० अकादमी पत्रिका- 1983
  15. मैथिलीक वर्तमान समस्या- स्मारिका, चेतना समिति- 1981
  16. महाकवि विद्यापति- स्मारिका, चेतना समिति, 1986
  17. शिक्षामे मैथिलीक स्थान- 'भाषा ओ समाज', चेतना समिति द्वारा प्रकाशित पौथी
  18. संविधानमे मैथिली- स्मारिका, चेतना समिति- 1992
  19. मैथिलीक मान्यता- इन्टरमीडियेट गद्य-पद्य संग्रह- मै० अ० पटना
  20. मैथिलीक भूत, वर्तमान आ भविष्य- मैथिली संघर्ष पत्रिका- 1992.
  21. निबन्ध ओ आलोचना- आलोचना विभागक अध्यक्षीय भाषण- 1994 आयोजक- अखिल भारतीय मैथिली साहित्य सम्मेलन-वैदेही- दरभंगा
  22. आधुनिक मैथिली गद्य पर परभाषिक प्रभाव- 'मैथिली गद्यक विकास'- साहित्य अकादेमी, दिल्ली- 1996
  23. मैथिलीक कविताक विकास- 'मैथिली काव्यक विकास' -सा०अ०दिल्ली- 1998
  24. राम काव्यक युगीन सन्दर्भ- मैथिली गद्यमालिका- बी०टी०बी०सी०-पटना
  25. संस्कृत साहित्य: एक झलक- प्राचीन भारती- 1998
  26. स्वतन्त्रता संग्रामक गांधी युग- भाषा सरितता भाग-5, बी०टी०बी०सी०-पटना
  27. भारतीय स्वतन्त्रता संग्राम- मैथिली भाषा सरिता भाग- 4 बी०टी०बी०सी०-पटना
  28. महात्मा गाँधी, आदर्श जीवनी- पा०पु०प्र०नि० पटना
  29. स्वतन्त्र भारत आ एकर संविधान- मैथिली भारती भाग-8
  30. मैथिली उपन्यासक विकास- मुख्य अतिथिक रूपमे जमदेशपुरमे सा० अ० दिल्ली द्वारा आयोजित संगोष्ठीमे भाषण-1907 (प्रकाशनधीन)
  31. हरिमोहन झाक व्यक्तित्व ओ कृतित्व- मुख्य अतिथिक रूपमें मैथिली विभाग, पटना वि०वि० आ साहित्य अकादेमीक संयुक्त तत्त्वावधानमे आयोजित चेतना समितिमे पठित आलेख-1908 (अद्यावधि प्रकाशनाधीन)

रेडियोवार्ता सम्पादन करी

  1. मैथिली निबन्ध साहित्य, दरभंगा 11.08.1979
  2. मैथिली उपन्यासमे राजनीतिक चेतना, पटना 22.03.1981
  3. मैथिली उपन्यासमे आँचलिकता, पटना ,19.07.1984
  4. मैथिलीमे समाज विज्ञानक पोथीक अभाव पटना, 11.12.1988
  5. मैथिली उपन्यासमे आँचलिकता, पटना 30.08.1981
  6. लेखक आलोचक संवाद (वार्तालाप) पटना 14.01.1981
  7. मैथिली साहित्यक इतिहासमे काल विभाजन पटना 17.05.1990
  8. मैथिली कथामे नवप्रयोग आ पाठकक अभिरुचि पटना 08.11.1992
  9. नवगीत आन्दोलन ओ मैथिली पटना 22.08.1993
  10. मैथिली कवितामे युग बोघ पटना 03.04.1995
  11. मैथिली कविताक विकास यात्रा पटना 03.091995
  12. मिथिलाक सामाजिक आ सांस्कृतिक जीवन पटना 23.11.1995

सारस्वत सम्मान सम्पादन करी

  1. भीष्म साहनीक उपन्यास 'तमस 'क मैथिली अनुवाद पर साहित्य अकादेमी अनुवाद पुरस्कार ।
  2. मैथिली भाषा-आन्दोलन एवं साहित्यिक अवदानक लेल चेतनासमिति, पटना द्वारा 'मिथिला विभूति' सम्मान
  3. विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा द्वारा 'मिथिला विभूति' सम्मान ।