अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस
अन्तरराष्ट्रिय नारी दिवस (अङ्ग्रेजी: International women's day) महिला जागरूकता सम्बन्धी दिवस छी । ई ८ मार्चमे विश्वभरि मनाओल जाएत अछि । राजनितिक रुपसँ सुरु होएतो हाल महिला अधिकार, महिला सशक्तिकरण आर समानता आदि प्रश्नसभ अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसक बिषयसभ अछि । ई सर्वप्रथम् १९०९ फेब्रुअरी २८ मे मनाओल गेल छल । १९१० मे महिलासभक मत खसावक अधिकार सुनिश्चित करवाक उद्देश्यक साथ एकरा अन्तर्राष्ट्रिय दर्जा प्रदान कएल गेल छल । सन् २०१३ मे पुगि गेलक बादमे बिश्वभरि १०३अम अन्तर्राष्ट्रिय नारी दिवस मनौने अछि । ई मार्च महिना धरि मनाओल जाएत अछि ।
अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस | |
---|---|
![]() १९१४ मार्च ८ क अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसमे प्रयोग कएल गेल पोस्टर | |
समुदाय | विश्वभरिक महिला तथा पुरुष |
प्रकार | अन्तर्राष्ट्रिय |
तिथि | प्रत्येक वर्ष मार्च ८ तारिख |
इतिहाससंपादित करें
संयुक्त राज्य अमेरिकाक सोसलिस्ट पार्टी २८ फरबरी १९०९ मे पहिल बेर महिला दिवसक आयोजना केनए छल । सोसलिस्ट पार्टी सन १९०८ क अन्तर्राष्ट्रिय महिला कपडा कामदारसभक आन्दोलनके स्मरणमे २८ फेब्रुअरि १९०९ क दिन महिला दिवस मनौने छल । एकर बाद ई फेब्रुअरिक अन्तिम रवि दिन मनावक लेल सुरु भेल । १९१० मे सोशलिस्ट इन्टरनेशनलक कोपेनहेगनके सम्मेलनमे एकरा अन्तर्राष्ट्रिय दर्जा प्राप्त भेल । ओ बखत एकर प्रमुख ध्येय महिलासभक मतअधिकार देबाक छल, ओही बखत महिलासभक मत खसावक अधिकतर देशसभमे नै छल ।
चित्र दीर्घासंपादित करें
सन्दर्भ सामाग्रीसभसंपादित करें
बाह्य जडीसभसंपादित करें
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवससँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |